मैथिली मे साहित्य अकादमी पुरस्कार विजेता साहित्यकार
सं १९५४ अपन स्थापना क संगहि साहित्य अकादेमी हर बरिस अपने दिस सँ मान्यता प्रदत्त भारत क प्रमुख भाषा सभ मे से प्रत्येक भाषा मे प्रकाशित सर्वोत्कृष्ट साहित्यिक कृति कय "अकादेमी पुरस्कार" प्रदान करैत छय। पहिल बेर इ पुरस्कार भारत क १५ भाषा कय १९५५ मे देल गेल। सं २०१० सँ विजेता कय ₹१,००,००० क राशि देल जाय रहल छय। १९६६ सँ साहित्य अकादेमी मैथिली मे "अकादेमी पुरस्कार देनाइ आरम्भ कयलाह। असमिया, ओड़िआ, अँग्रेजी, उर्दू, कन्नड, गुजराती, तमिऴ, तेलुगु, पंजाबी, बाङ्ला, मलयाळम्, मराठी, संस्कृत, हिन्दी (वर्णमाला क्रम सँ १९५५ क आठम सूची क वर्णित १४ राष्ट्रीय भाषा), कश्मीरी आ सिन्धी (१९५९) भाषा क बाद मैथिली सत्रहम भारतीय भाषा छय, जाहि मे साहित्य अकादेमी अपन पुरस्कार देनाइ आरम्भ कयलाह। मैथिली क बाद डोगरी (१९७०); मणिपुरी (१९७३); राजस्थानी (१९७४); कोंकणी आ नेपाली (१९७७); आ बोडो आ संताली (२००५) के साहित्य अकादेमी सँ पुरस्कार क मान्यता भेटल। आइ कुल २४ भारतीय भाषा मे साहित्य अकादेमी पुरस्कार देल जाइछ छय। मैथिली लेल इ गौरव क गप्प छय जे राष्ट्रीय स्तर पर साहित्य अकादेमी मैथिली कय...